होम | भाषा विकल्प | डाउनलोड | FAQ | संपर्क करू (नव टौल फ्री नंबर‍) | Site Map
 
 
Maithili CD Cover
 
भारतीय भाषाओं के लिए प्रौद्योगिकी विकास

भारतीय भाषासभक लेल भाषा प्रौद्योगिकी – आमलोकनिसभ एक दोसरसँ बहुते तरहसँ संचार करैत अछि जकरामे दृश्य आ ध्वनि माध्यम प्राथमिक अछि। मोजुदा परिदृश्यमे मानव-मशीन संपर्क क’ प्रधान माध्यम मशीनक सुविधा पर मानवक बदला बेसी निर्भर अछि। माउस आ कुंजी मुख्य इनपुट युक्ति अछि आओर विजुअल प्रदर्शन आउटपुट युक्ति अछि। ई अंतरफलक कए लेल विशेष दक्षता आओर मानसिक योग्यताक एकटा खास मात्राक जरूरत अछि जे बेसी लोकनिसभक लेल संभव नहि अछि।ई मशीन केंद्रित कोडकेँ मानव केंद्रित कोडमे बदलिनाइ महत्वपूर्ण अछि जाहिसँ बेसीसँ बेसी लोकनिसभ कंप्यूटरक तागतकेँ फायदा लए सकै। एकरा अपन आँखिकेँ सामना देखि कए पाएल सूचना बेसी प्रभावी मानल जाइछ मुदा बाजनाइ कोनो सूचनाक प्रेषणक लेल सबसँ आसान तरीका होइछ। कंप्यूटर आ टेलिकाम सुविधाक केंद्रण कए कारण, शाब्दिक अंतःक्रिया बहुत बेसी शक्तिशाली भए गेल अछि। एकर मद्दतिसँ आमलोकिनसभ सूचनाक पहुँच अपनासँ बहुत दूर राखल कंप्यूटरोसँ लए सकैत अछि।शाब्दिक अंतःक्रियामे प्राकृतिक भाषाक प्रयोग सामिल अछि आओर एहि कारणेँ भाषा विज्ञानक महत्व सूचना प्रौद्योगिकीक क्षेत्रमे बहुत बढ़ि गेल अछि। मानवसभक बहुत नीक गुणसँ संपन्न अछि जे भाषा थीक। ओ बिनु कोनो बाइली प्रयाससँ ई शक्तिशाली अओजारक प्रयोग सूचना, विचार आ सोचकेँ आदान-प्रदानक लेल करैत अछि।
मानव-मशीन अंतःक्रियामे प्राकृतिक भाषाक प्रयोगमे मानवीय भाषा प्रौद्योगिकी कए कतेक बहुते पहलू अछि जहिना: Speech () , पहिचान आओर बोली आ स्क्रिप्टक समझ, मशीन अनुवाद, पाठक निर्माण, भाषण आओर स्क्रिप्टक संश्लेषण जकरा लेखनक समय घींचल जाइछ। भाषाक दुनू रूप यानी बाजनाइ आओर लिखनाइ समान रूपसँ उपयोगी अछि जखन मशीनसँ संपर्क स्थापित कएल जाइ रहल अछि। भारतीय भाषासभक कंप्यूटर पर प्रयोग करबाक सुविधा प्रयोक्ताक लेल दुइ दशकसँ मोजुद कएल गेल अछि आओर एकरामे डाटा प्रोसेसिंग, वर्ड प्रोसेसिंग आओर डेस्कटाप प्रकाशन आओर विभिन्न प्लेटफार्म आओर आपरेटिंग सिस्टम पर बहुते काजसभ करैत अछि।

सूचना प्रौद्योगिकी विभाग टीडीआईएल (भारतीय भाषासभक लेल प्रौद्योगिकी विकास) प्रोग्राम सूचना संसाधनक विकासक लेल आरंभ कएलक; बिनु कोनो भाषा अवरोधक मानव मशीन अंतःक्रियाक सुविधा देबाक बहुभाषी ज्ञान स्रोतक निर्माण आओर हुनकर पहुँच आओर एकदम नवीन प्रयोक्ता उत्पादसभ आओर सेवासभक विकासक उद्देश्ययुक्त लक्ष्यक लेल ओकरा जोड़नाइ। कोरपोरा आओर शब्दकोश जहिना भाषाविज्ञानक अओजारसभक विकासक लेल आओर फान्ट, पाठ संपादक, हिज्जे जाँचनिहार, ओसीआर आओर पाठसँ ध्वनि जहिना मौलिक सूचना संसाधनक विकासक लेल कोष उपलब्ध कराएल गेल। मानकसभक निर्माणो कएल गेल।

भारतीय भाषा प्रौद्योगिकीक उत्पाद आ सेवासभक विकास करबाक क्रममे बहुत प्रकारक प्रयास निज, सार्वजनिक आओर सरकारी स्तर पर देशमे विभिन्न स्थान पर कएल गेल अछि। भाषा प्रौद्योगिकीकेँ उपयोग आरंभ आओर स्रोत केंद्र आओर क्वाइलनेट केन्द्र पर विकास कएल साधनक कएनाइ महत्वपूर्ण अछि जाहिसँ कोनो प्रतिक्रिया ओकर उपयोगिताक संबंधमे पाएल जाए सकए। ओकर बाद, ओकरा उत्पादनक लेल उपलब्ध कएल जाए सकैत अछि। शोध आओर विकास समाजकेँ पूर्णतामे प्रभावित कएनाइ चाही। एकर माने अछि जे शोधक लेल प्रयासकेँ बहुत तेजीसँ लागू कएल जाएनाइ चाही ओकरा प्रयोगशालामे सीमित रखबाक बदला। अंतमे ई तरहसँ प्रयोक्ताक हुनकर अनुभवकेँ संबंधमे संपुष्टि आओर सूचनाकेँ पाएल जाए सकैत अछि जाहिसँ ओतबा परिवर्तन ओकरामे कएल जाए सकए।

सरकार नीच्चाँ लिखल उत्पादसभ आ समाधानसभकेँ आगाँ आबैबला एकसाल मे सार्वजनिक डोमेन मे लएबाक लेल पूरी तरहसँ तैआर अछि:
भारतीय भाषासभमे फ्री फान्ट (टीटीएफ आओर ओटीएफ) आओर वर्ड प्रोसेसर। पहिल चरणमे सार्वजनिक डोमेनमे ओकरा मुफतमे देबाक लक्ष्यसँ, ट्रू टाइप फान्ट, जे क्लासिकल तमिल भाषामे लोकप्रिय अछि केँ प्रकाशन उद्योगक सलाहसँ चुनल गेल अछि। Windows 95/ Windows 98/ Windows NT प्लेटफार्म पर टीटीएफ फान्टसभक व्यापक रूपेँ प्रयोग कएल जाइछ। ओटीएफ (ओपन टाइप फान्ट) केँ Windows 2000/XP/2003 आओर लिनक्स प्लेटफार्मक लेल निर्गत कएल गेल अछि। ई अपन तरह कए पहिल कोसिस अछि आओर (अखनका आओर नवीन) वर्ड प्रोसेसर ई फान्टसभक प्रयोग करबामे समर्थ हाएत। ई प्रयासक परिणामक रूपेँ प्रयोक्तासभक इंस्क्रिप्ट, ध्वन्यात्मक, आओर टाइपराइटर कुंजीपटल आओर बहुत बेसी फान्ट डाटा एंट्रीक लेल मोजुद रहताह।
सभटा भारतीय भाषासभमे सूचाना निकालब, पाएब आओर संख्यावर्तनक लेल आप्टिकल कैरेक्टर रिकाग्निशन (ओसीआर) । ओसीआर स्कैन कएल कापीकेँ (छपल पन्ना जकरा स्कैनरक मद्दतिसँ स्कैन कएल जाइछ) संपादन योग्य पाठमे बदलैछ जाहिसँ ई दोसर अनुप्रयोगसभक लेल प्रयोग भए सकैत अछि आओर ओही अनुसारे बदलल जाए सकैत अछि। प्रकाशन उद्योग एकर प्रधान फायदा लएबला अछि जे ओसीआर केँ प्रयोग फिनु टाइप करबा आओर नवीन प्रकाशन तैआर करबाक लेल प्रयोग कए सकैत अछि।
रेलवे सूचना, स्वास्थ्य सुविधा, कृषि, विपदा प्रबंधन आओर सार्वजनिक उपयोगिताक दोसर सेवासभक लेल भाषण अंतरफलक. ई आमलोकनिसभकेँ उन्नत प्रौद्योगिकी कए लाभ लएबामे मद्दति करत। कोनो स्पीच इंजन केँ मानव भाषणक पहिचानक लेल प्रयोग कएल जाए सकैत अछि सिस्टमक संग संपर्क स्थापित करबामे आओर पाठमे एकरा बदलबाक लेल सूचना निकालब लेल। पाठसँ ध्वनि केँ प्रयोग ओ अनुप्रयोगसभक लेल कएल जाइछ जहिना अंधा कए लेल लिखल सामग्रीकेँ इंटरनेटसँ पढ़बाक लेल।

ब्राउजर, सर्च इंजन आओर इमेल जहिना इंटरनेट एक्सेस कए साधन। तखन भारतीय भाषामे ईमेल भेजब संभव भए जाएत सड्गे सङग सर्च इंजन सूचनाक ल खोजमे मद्दति देत दोसर भारतीय भाषाक लेल। एकर अलावा, ई कोनो भाषामे क्वेरी देताह।
आनलाइन अनुवाद सेवाक मानै अछि भारतीय भाषा आओर अङरेजीक मध्य। ई साधनक प्रयोगसँ लोकनिसभ अङरेजी अथवा कोनो भारतीय भाषामे मोजुद सूचनाकेँ अपन पसिन्न कए लक्ष्य भाषामे अनुवाद करबामे समर्थ हाएत।

टीडीआईएल डाटासेंटर उत्पादसभ आ सेवासभ दैछ आनलाइन मद्दति डेस्क कए संग। टीडीआईएल –डीसी (लैंग्वेज टेकनालाजी यूटिलिटी डिस्ट्रीब्यूशन चैनल) शोध, उत्पादन, रोजगार आओर मद्दति आओर केँ प्रेरणा देबाक उद्देश्यसँ निम्नलिखित कए द्वारा एकटा सरकारक मिशन केंद्रित आओर समयबद्ध क्रियाकलाप योजना अछि।
प्रौद्योगिकीक बदलनाइ आ स्थितिक बढ़ैनाइ जाहिसँ ओ निर्माणक उत्पादकेँ निर्माणमे सक्षम अछि।

नवीन जरूरत आधारित प्रौद्योगिकीसभक विकास

नीच्चाँ देल चरण उप्पर बताएल गेल केँ पाबैक लेल कएल गेल अछि।

क.टीडीआईएल डाटा सेंटर सँ भाषा प्रौद्योगिकी/साधनकेँ चरणबद्ध वितरण

ख.विकसित साधन, प्रौद्योगिकी, उत्पाद आओर सेवासभक अधिग्रहण

ग.भाषा प्रौद्योगिकी कए क्षेत्रमे कएल गेल प्रयासक संबंधमे जागरूकता फैलाइनाइ आओर ओ साधन आ     प्रौद्योगिकीकेँ बढ़ैनाइ जे अखन मोजुद अछि।

घ.साधन, उपयोगिता आओर उत्पादसभक मुफत केर डाउनलोडक लेल प्रयोक्ताकेँ सुविधा देनाइ।

ङ.भाषा प्रौद्योगिकीमे निज-सार्वजनिक साझाकेँ बढ़ैनाइ

च.विशेष अनुप्रयोग क्षेत्रमे मिशन केँ आरंभ कएनाइ।